Site icon पद्यपंकज

जितिया पावैन बड़ भारी – नीतू रानी

Nitu Rani

Nitu Rani

जितिया पावैन बड़ भारी
अपन धिया पुता लेअ करै ये
सबके महतारी
जितिया पावैन ———२

एक दिन पहिले नहाअखाए खाय मरुआक रोटी नारी ,
भिनसर उईठ केअ औटघन खाययेअ
चूड़ा दही नारी
जितिया पावैन बड़ भारी
अपन धिया पुता —–२।

बाजार सेअ पाँच रंग फल आनै येअ संगे डरायडोर पान सुपारी,
बांस,जियल,झिंगली पात सेअ
भरै येअ सब डाली
जितिया पावैन बड़ भारी
अपन धिया पुता ——-२।

दोसर दिन उपवास राखै येअ
दिन राएत जारी
जीतमाहन बाबा केअ कथा सुनै येअ बैठकेअ सब नारी,
जितिया पावैन बड़ भारी
अपन धिया पुता ——–२।

तेसर दिन पारन लेल सबेरे उठैयेअ सब नारी,
बेटा सेअ उघरबाबै येअ
भरल फलक डाली ,
जितिया पावैन बड़ भारी
अपन धिया पुता ——-२।

नहाए सोनाए केअ पहिर ओढ़केअ
प्रभु सेअ माँगै नारी,
हे प्रभु हमर धिया पुता केअ
राखिहअ दीर्घधारी,
जितिया पावैन बड़ भारी
अपन धिया पुता ——–२।

देव पितर केअ चढ़ाए बढ़ाए केअ
खाए लेल बैसै नारी
खीरा मूँग,बादामक ओंकड़ी खाएं
व्रत तोरै सब नारी,
जितिया पावैन बड़ भारी
अपन धिया पुता ——-२।


नीतू रानी
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी जिला -पूर्णियाँ बिहार।

0 Likes
Spread the love
Exit mobile version