Site icon पद्यपंकज

शिवे संग हम गौरी बियाहब-नीतू रानी

Nitu Rani

Nitu Rani

नमन मंच 🙏🙏
विषय- शिवरात्रि

शीर्षक-शिवे संग हम गौरी बियाहब।

शिवे संग हम गौरी बियाहब
नै तेअ कुमारी ये रहब ना।

तेंतीस करोड़ देवता में
शिव वर ढ़ँढलौं
शिव सन सुन्दर वर एको नहीं देखलौं,
हम बनब शिव केअ दुलारी
नै तेअ कुमारी ये रहब ना।
शिवे संग————-२।

हिमालय पिताजी ,माता मैना दुलारी
तिनकर बेटी हम गौरी कुमारी,
करब शिव संग बियाह सदा सुहागिन बनब ना।
शिवे संग हम————२।

बाबा के अटाड़ी हमरा मनहूँ नै भावै
शिव जी केअ टूटल छपड़ी हमरा सुहावै,
हम तेअ शिव वर पावि बड़ धन्य -धन्य भेलौं ना ।
शिवे संग हम गौरी बियाहब

नै तेअ कुमारी ये रहब ना।

स्वरचित गौरी गीत।
नीतू रानी
स्कूल का नाम-म०वि०सुरीगाॅ॑व प्रखंड-बायसी
जिला-पूर्णियाॅ॑ बिहार।

0 Likes
Spread the love
Exit mobile version