Site icon पद्यपंकज

छठ पूजा – नीतू रानी

छठी मैया तोहरो त्योहार।


छठ गीत

नियम धरम सेएअ हम कईलौं, छठी मैया तोहरो त्योहार।

करलौं में छठी के वरतिया
कईलौं नहाय-खाय,कदुवा भात। करलौं हम खरना उपास, सहलौं दिन अरबा खेलौं रात।

मंगेलौं हम बाॅ॑स केअ चंगेरबा,
भरलौं ठकुआ ,नारियल ,टाभ।साॅ॑झ-भोर गेलौं छठी घाट पर, जल में भेलौं हम ठाढ़--२।

दियौ ने आशीष छठी मैया,
नीक सुख राखब परिवार-२। नियम धरम से कइलौं, छठी मैया तोहरो त्योहार।


नीतू रानी (विशिष्ट शिक्षिका)
स्कूल – म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।

0 Likes
Spread the love
Exit mobile version