विषय -नवरात्रा।
शीर्षक -डोली चढ़ी माँ भगवती।
चैत नवरात्र में एली हे मैया,
डोली चढ़ी माँ भगवती।
माँ हँसति खल -खल दाँत झल -झल
रुप सुंदर भगवती।
माँ त्रिशूल हाथ लेल महिषासुर मारती ,
सोनित पीबति घट घट ।
चैत नवरात्र में एली हे मैया,
डोली चढ़ी माँ भगवती।
माँ अहैं छी काली अहैं छी दुर्गा,
नौ रुप में भाँ भगवती।
चैत नवरात्र में एली हे मैया,
डोली चढ़ी माँ भगवती।
नीतू रानी, विशिष्ट शिक्षिका स्वरचित भगवती गीत।
स्कूल -म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।
0 Likes

