परीक्षा केअ एलै बहार
बहार मेरी सखिया
बच्चा सेअ शोभै स्कूल हमार
हमार मेरी सखिया परीक्षा —2।
पहिले बच्चा अपन नाम लिखै,
बाद में स्कूल, प्रखंड, जिला के नाम लिखै
लिख केअ रहै छै तैयार
तैयार मेरी सखिया परीक्षा –२।
सोएच- सोएच केअ बच्चा काॅपी में लिखै
बगलों वाला बच्चा केअ चुपचाप लिखाबै ,
मन में डर होएके होशियार
होशियार मेरी सखिया परीक्षा –२।
स्कूल में बच्चा समय पर आबै
परीक्षा दै घड़ी नै बच्चा डराबै ,
काॅपी भैर केअ राखै तैयार
तैयार मेरी सखिया परीक्षा —2।
सब प्रश्न हल कैर बच्चा खुश नजर आबै
जाए घड़ी शिक्षक आगे अपन सिर झुकाबै ,
आशीष लाएकेअ जाए अपन घर दुवार
दुवार मेरी सखिया परीक्षा —-२।
नीतू रानी, विशिष्ट शिक्षिका
म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।
0 Likes

