Site icon पद्यपंकज

तुलसी विवाह -नीतू रानी

विषय -तुलसी विवाह

विवाह गीत
मंगल मय दिन आजु हे
छीयैन तुलसी के विवाह,
परल नग्र हकार हे
मन कमल फुलाओल।
मंगलमय———2।

द्वार पर आओल वर -बरियाती
संग में वर के बाप हे ,
हुनका गरियाएब
मंगलमय ————2।

वर केअ परिछेअ गेली तुलसी के अम्मा
संग में सखियाँ हजार हे ,
देखी मन हर्षाओल
मंगलमय

जेहेन हमर तुलसी ओहने सुंदर दुल्हा
देखी केअ नैन जुड़ाओल हे,
मन कमल फुलाओल
मंगलमय

पाँच पंडित मीलि दुर्वा अक्षत देलनि
ब्रह्मा वेद पढ़ाई हे
सखी सब मंगल गाओल
मंगलमय

नीतू रानी (विशिष्ट शिक्षिका)
स्कूल -म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।

0 Likes
Spread the love
Exit mobile version