आपका ब्राउज़र Text-to-Speech सपोर्ट नहीं करता।
टी ओ बी वर्षगाँठ पर आप सबों को बहुत- बहुत बधाई और हार्दिक शुभकामनाएँ।🙏🙏
विषय -टी ओ बी वर्षगाँठ
शीर्षक -मंगलमय दिन आजु हे
मंगल गीत
मंगलमय दिन आजु हे
वर्षगाँठ छनि आओल,
पूरल टी ओ बी केअ
पाँच साल हे मन कमल फूलाओल
मंगलमय —————2।
अही अवसर पर
दीप प्रज्ज्वलित कर,
मनाबै सब मिलि वर्षगाँठ हे
गीत मंगल गाओल,
मंगलमय दिन ———–2।
वर्षगाँठ के शुभ अवसर पर
भेल सांस्कृतिक नाट्य कार्यक्रम सब,
बाँटल गेल मिठाई हे
सब मन भर खाओल,
मंगलमय दिन ———–3।
देश विदेश के शिक्षकगण सब
टी ओ बी फेसबुक और व्हाट्सएप पर,
जुटल अछि लाखक लाख हे
देखी हृदय जुड़ाओल,
मंगलमय दिन ——-2।
शिक्षा सेअ टी ओ बी ऐछ जुड़ल
ज्ञानक गंगा सेहो बही रहल,
ज्ञानक ज्योति जलाऊँ हे
टी ओ बी माचिस सॅअ ,
मंगलमय दिन ———-2।
आय थीक तारीख बीस शनिचर
टी ओ बी के वर्षगांँठ पर खुश छथिन ईश्वर,
ई शुभ दिन आबै बार -बार हे
देखी नैन जुड़ाओल,
मंगलमय दिन ———-2।
नीतू रानी, स्वरचित मंगलगीत
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार।

