स्कूल खुलल हमार – नीतू रानी,

Nitu

विषय -नववर्षक त्योहार

शीर्षक -स्कूल खुलल हमार

हे बहिना कोना‌ मनाएब नव वर्षक त्योहार हे
स्कूल खुलल येअ हमार हे ना।

पिया हमर बसै छथिन परदेश
नववर्ष में कोना एथिन पिया अपन देश,
हे बहिना पिया लय कानय हृदय हमार हे
नै देलखिन छुट्टी सरकार हे ना।
हे बहिना ————-२।

आन साल रीहै पिया के साथ
नव वर्ष मनाबै रीहै पूरे परिवार,
हे बहिना पिया बिन कोना मनायब हम त्योहार हे
छुट्टी नै देलखिन सरकार हे ना।

पापा कैह कानै बच्चा हमार
ककरा संग हम जायब घुमै लेल पार्क
हे बहिना के खिलायत चाउमिन, बर्गर,चाट हे
पिया बिन जिया उदास हे ना।
हे बहिना ———-२।

के ले जायत डिजनीलैंड मेला
के झूलायत हमरा राम झूला,
हे बहिना के किनवायत रंग बिरंगक समान हे
के खिलयत पान हे ना।
हे बहिना ———-२।

पिया हमर स्कूल के छथिन प्रधान
पिया ऊपर लादल बोझक- बोझ काम,
हे बहिना पिया सेअ मिललय बेकल भेल मोर प्राण हे
कोना केअ एता पिया गाम हे ना।
हे बहिना —————-२।

साल में आबै एकटा नववर्षक त्योहार
जै में छुट्टीयों नै देलखिन सरकार
हे बहिना पिया बिन कोना
बितायब नववर्षक रात हे
पिया बिन पलंग उदास हे ना।
हे बहिना ————–२।

हमरा सेअ कि गलती भेल सरकार
किया नै मनाबेअ देलौं नया साल,
सरकार यौ कोन अपराध केलौं जे देलौं एते बरका सजावार यौ
लागै छी हम छी बंद कारागार यौ ना
सरकार यौ नै देलौं छुट्टी कोना मनाबेअ नया साल यौ
बच्चा सब कानै हमार यौ ना।


नीतू रानी, स्वरचित नववर्षक गीत।
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार ।

Leave a Reply