सुनियौ अरज ओहिना – नीतू रानी

Nitu

भगवती गीत


सुनियौ अरज ओहिना अरज ओहिना अरज ओहिना
हे जननी सुनियौ अरज ओहिना,
बच्चा केअ माता सुनैये जहिना—2
सुनियौ अरज ओहिना——२।

तोरब अरहुल फूल पूजब हम नोर सॅ
कतबो जे कहब माॅ॑ उतरब नै कोर सॅ,
देखु दया केअ सजल नैना भरल नैना भीजल नैना
हे जननी सुनियौ अरज ओहिना
बच्चा केअ माता सुनैये जहिना—2
सुनियौ अरज ओहिना —–२।

बेसी कहब कि माँ अहाँ जानैत छी
विपदा केअ मारल माॅ॑ शरण धरल छी,
देखु दया केअ करुण नैना भीजल नैना भरल नैना
हे जननी सुनियौ अरज ओहिना
बच्चा केअ माता सुनैये जहिना—2
सुनियौ अरज ओहिना—२।


नीतू रानी पूर्णिया बिहार।

Leave a Reply