मेहनत भेल हमर बेकार- नीतू रानी

Nitu

मेहनत भेल हमर बेकार,
ठंडी,गर्मी में खटबेलक
बिहार सरकार
मेहनत भेल——–2।

ठंडी में केलौं हम जाति गणना
भेलौं हम बीमार,
डाॅक्टर सेअ देखेलौं पैसा खर्चा करलौं
करलौं पच्चीस हजार ।
मेहनत भेल——–2।

गरमी में केलौं जाति जनगणना
फेर परलौं बीमार,
सात घरक हम पानी पीलौं
धरलक सर्दी बोखार।
मेहनत भेल हमर –।

बड़ मेहनतकस काम हम करलौं
सबटा भेल बेकार,
पैसा देवै काल में मुंँह
फेर लेलक बिहार सरकार।
मेहनत भेल——–2।

ई हम जानतौं मंगनी खटबेतै
शिक्षक सेअ सरकार,
झूठ फुईस बाएज के नाम कटबेतौं
हेतौं दरकिनार
मेहनत भेल——–2।

सोएच बिचाएर केअ नै काम करै छै बिहार सरकार,
चैन के नै सांस लैलअ दै छै
शिक्षक केअ सरकार।
मेहनत भेल—-२।

भैर दिन भुख्खल प्यासल रैहकेअ
केलौं जाति जनगणना कार्य,

मेहनत भेल—-२।

नीतू रानी
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार

Leave a Reply