राम मंगल गीत – नीतू रानी

मंगलमय दिन आजु हे
रघुवर छथि आओल,
जागल भाग्य हमार हे
मन कमल फूलाओल।
मंगलमय दिन ——–।

रघुवर संग में सिया सुकुमारी
संगे लक्षमण भाई हे ,
देखी नैन जुड़ाओल
मंगलमय दिन ——।

नैनक नीर सॅ चरण पखारब
हृदय में लेब बैठाय हे ,
चरणरज शीश झुकायब
मंगलमय दिन ——-।

बहुत दिनक हमर आस पुरौलनि
दशरथ राजकुमार हे
खुशी सॅ नैन झरझराओल
मंगलमय दिन ———।

आजु केअ दिन सभक मन खुश छैन
दर्शन इच्छा पूरल हमार हे
मन हमर गदगदाओल
मंगलमय दिन आजु हे
रघुवर छथि आओल —२।


नीतू रानी, स्वरचित राम मंगल गीत।
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार

Leave a Reply