Site icon पद्यपंकज

अक्षर सेअ जोड़लौ पिरितिया – नीतू रानी

Nitu Rani

Nitu Rani

अक्षर सेअ जोड़लौ पिरितिया – नीतू रानी

काम धाम करि हमें पढ़लौं हे सखिया
मानअ हमर तूँ बतिया।
मानअ हमर तूँ बतिया हे सखिया
मानअ हमर
काम धाम करि।

पहिले पहिल जब हम पढ़ै लय गेलौं
लाज सेअ सखिया हमें मरि गेलौं
बुझेलक ज्ञानक बतिया हे सखिया
मानअ हमर तूँ बतिया
काम धाम करि।

दोसर दिन जब हम पढ़ै लय गेलौं,
मकान खलिहान के पाठ पढ़ी लेलौँ
अक्षर सेअ जोड़लौ पिरितिया हे सखिया
मानअ हमर तूँ बतिया
काम धाम करि हम।

दुई चारि दिन जब पढ़ै लय गेलौँ
चिट्ठी पढ़ी हम अपने सेअ लिखलौँ
पियाजी केअ भेजलौँ संदेशिया हे सखिया मानअ
हमर तूँ बतिया
काम धाम करि हम पढ़लौं हे सखिया मानअ हमर तूँ बतिया।

नीतू रानी, विशिष्ट शिक्षिका, स्वरचित शिक्षा गीत।
स्कूल -म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।

0 Likes
Spread the love
Exit mobile version