भाई दूज…नीतू रानी


कार्तिक के महीना भरदूतिया के अछी शोर,
जहिना एथिन भैया हम लागब हुनका गोअर।

गाए गोबर लाए अंगना निपाएब
अरबा चौर पीसी हम ऐरपन बनाएब,
ताहि पर देब लाल सिंदूरक ठोप
जहिना एथिन भैया हम लागब हुनका गोअर।
कार्तिक केअ ———२।

बाजार सेअ पाँच पान मंगाएब
ताहि संग पाँच सुपारी मंगाएब,
भरदूतिया केअ मंत्र पढ़ी हम भैया सेअ लेब नोअत
स्वस्थ दीर्घायु रहें हे ईश्वर तीनों भैया मोर।
कार्तिक केअ —–२।

भैया लेल हम व्यंजन बनाएब
खीर बनाएब दहीबड़ा बनाएब,
खेतिन्ह भैया हमर आत्मा जुड़ायत मोर
जहिना एथिन भैया हम लागब हुनका गोअर।
कार्तिक केअ ——–२।

भाई बहिन छी ई पाबैन भरदूतिया
हर साल मनाबै बहिन सुनितिया,
ई पाबैन छी भाई बहिन केअ
प्रेमक मजबूत डोर
जहिना एथिन भैया हम लागब हुनका गोअर।
****************
नीतू रानी (विशिष्ट शिक्षिका)
स्कूल -म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।

1 Likes
Spread the love

Leave a Reply