छठी मैया गीत – नीतू रानी” निवेदिता”

नियम धरम सेएअ हम कईलौं,
छठी मैया तोहरो त्योहार।

करलौं में छठी के वरतिया
कईलौं नहाय-खाय,कदुवा भात।

करलौं हम खरना उपास,
सहलौं दिन अरबा खेलौं रात।

मंगेलौं हम बाॅ॑स केअ चंगेरबा,
भरलौं ठकुआ ,नारियल ,टाभ।

साॅ॑झ-भोर गेलौं छठी घाट पर,
जल में भेलौं हम ठाढ़–२।

दियौ ने आशीष छठी मैया,
नीक सुख राखब परिवार-२।

नियम धरम से कइलौं,
छठी मैया तोहरो त्योहार।

नीतू रानी” निवेदिता”
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार

Leave a Reply