करवाचौथ
चलनी चमकदार हे।
हे बहिना पिया करै छी करवाचौथ त्योहार हे,
भैर दिन राएख केअ उपवास हे ना।
पिया संग गेलौं हम बाजार
किनलौ साड़ी चूड़ी लाल,
हे बहिना आरो किनलौं
चलनी चमकदार हे
भैर दिन
हे बहिना
नहाए सोनाए केलौं श्रृँगार
पिन्हलौं पायल झमकदार
हे बहिना लाल सिंदूर सेअ करलौं सिर लाल हे
भैर दिन राएख केअ उपवास हे ना,
हे बहिना पिया
मधुर फल सेअ हम भरलौं डलिया
चलनी सेअ देखलौं पिया के सुरतिया,
हे बहिना पिया हमर लागै छथिन राजकुमार हे
भैर दिन राएख केअ उपवास हे ना,
हे बहिना पिया
पिया केअ केलौं हम प्रणाम
लाएके ईश्वर के हम नाम,
हे बहिना पिया देलखिन्ह
अखंड सौभाग्यवती केअ आशीर्वाद हे,
भैर दिन राएख
हे बहिना पिया
पिया लेलखिन्ह,जल सेअ भरल गिलास
पियाके जल तोरबेलखिन्ह हमर उपवास,
हे बहिना सातों जनम में रहेअ इहे पिया हमार हे
हिंनके लेल करब त्योहार हे ना,
हे बहिना
नीतू रानी (विशिष्ट शिक्षिका)
स्कूल -म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।
