तखने हाएत सफल सब काम – नीतू रानी

Nitu

विषय -जातिगणना
शीर्षक -तखने हाएत सफल सब काम।


तखने हाएत‌ सफल सब काम
जखन देत शिक्षक केअ मेहनत के
पूरा दाम
तखने हाएत‌ सफल सब काम।

दिन राएत जनगणना में खटलऔं,
मिलल कम ईनाम
ऐसेअ अच्छा मजदूरी करतौं
मिलतियै मुँह माँगा दाम।
तखने हाएत‌ सफल सब काम
जखन देत —–२।

बहुत दिन पर बिहार सरकार
भेल शिक्षक पर मेहरबान,
सारा काम करावाएकेअ शिक्षक सेअ
केलक एक चौथाई वेतन भुगतान।
तखने हाएत‌ सफल सब काम
जखने देत——–२।

जाति जनगणना में केलौं हम
बहुत कठिन सब काम,
खैट -खैट जान आजीज भाएगेल
मिलल कम ईनाम।
तखने सफल सब काम
जखने देत——–२।

ठंढी गर्मी में खटवेलक
नै देलक उचित ईनाम,
कम पैसा में खटवाएकेअ केलक
शिक्षक केअ परेशान।
तखने हाएत‌ सफल सब काम
जखने देत——–२।

सरकार के ई कानून देख शिक्षक
बंद केलक अपन मुँह कान,
अगर उचित कुछ बाजै बेचारा
मिलै डंडक हुनका ईनाम ।
हमर भेल अधूरा काम
ठंढी गर्मी में खटवाएकेअ
नै देलक पूरा ईनाम
तखने हाएत‌ सफल सब काम
जखने देत———२।


नीतू रानी
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार

Leave a Reply