भैया ग्यारह नवंबर कय मतदान करू यौ ।
पहिले करू मतदान तखन जलपान करू यौ।
लोकतंत्र के ई अछि पाबनि महान।
परिवार संग मिली करू मतदान ।
भैया राष्ट्र सुरक्षा पर धिआन धरू यौ।
पहिले करू मतदान तखन जलपान करू यौ।
अहीं भारत के छी भाग्य विधाता ।
अपन भविष्य के छी अहीं निर्माता।
भैया नव भारत के निर्माण करू यौ
पहिले करू मतदान तखन जलपान करू यौ।
जे करय शिक्षा सम्मानक बात।
ओकरे बनायब अहां सरकारऽ।
कनि सुख शांति के ख्याल करू यौ।
पहिले करू मतदान तखन जलपान करू यौ।
जे देलक अछि रोजी ,रोजगार ।
बिजली,पानी और सड़क हजार।
भैया सोचि समुझि मतदान करू यौ।
पहिले करू मतदान तखन जलपान करू यौ।
अहि अवसर केर लाभ उठाउ।
मतदान केंद्र जाकऽ बटन दबाऊ।
भैया मताधिकार केर अनुसंधान करू यौ।
पहिले करू मतदान तखन जलपान करू यौ।
स्वरचित एवं मौलिक
मनु कुमारी, विशिष्ट शिक्षिका प्राथमिक विद्यालय दीपनगर बिचारी ,राघोपुर,सुपौल
पहिले करु मतदान..मनु कुमारी
0 Likes
