आपका ब्राउज़र Text-to-Speech सपोर्ट नहीं करता।
जनगणना गीत
हे बहिना जाय छी करै लय जाति जनगणना कार्य हे
गरमी में सबके अंगना द्वार हे ना।
जाय छी सबके अंगना द्वार
लैछी सबकेअ नाम पुकार
हे बहिना साथ में आनै लय कहै छी हम आधार हे
संगे राशनकार्ड हे ना।
पहिले लिखै छीयै प्रधान के नाम
तखन पिता /पति के नाम
हे बहिना तखन लिखैछी उम्र, लिंग, कास्ट हे सुंदर अक्षर के साथ हे ना।
भरै छीयै शैक्षणिक योग्यता, कार्य कलाप
आवासीय,प्रवासीय स्थिति के साथ हे बहिना आरो भरै छीयै
कंप्यूटर, लैपटॉप साथ हे
प्रधान सेअ पुछै केअ बाद हे ना।
पुईछ केअ लिखै छीयै कृषि भूमि, आय
सतरहो कोलम में जाय
हे बहिना प्रधान सेअ दस्तखत कराबै छीयै साथ हे तखन करै छी समाप्त हे ना
हे बहिना —–२।
जब पूर्ण होयत जनगणना कार्य
तब सिर केअ उतरत भार
हे बहिना तब बैसब शांति सेअ अप्पन घर द्वार हे
बच्चा बुतरू के साथ हे ना।
हे बहिना ——–२।
नीतू रानी
स्वरचित रचना
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार।

