पद्यपंकज Uncategorized भाई बहन दिवस -नीतू रानी

भाई बहन दिवस -नीतू रानी



विषय -भाई, बहन दिवस।
शीर्षक -दै छी भाय केअ खूब आशीर्वाद हे ना।
**
हे बहिना आय छीयै
भाय बहिन दिवस त्योहार हे,
दै छी भाय केअ खूब आशीर्वाद हे ना।

नेहेबै- सोनेबै करबै श्रृँगार
ईश्वर से माँगबै भाय लय आशीर्वाद,
हे बहिना भाय केअ उमर बढ़तै सौ हजार हे
दै छी भाय केअ

भाय केअ नहेतो केस नै टूटिहअ
भाय केअ निकट नै कोनो दुःख आबिहअ,
हे बहिना भाय सदिखन रहेअ हमर मुस्कुराय हे
दै छी भाय केअ

भाय केअ सुखी रहेअ संसार
केअ हँसैत रहेअ घर- द्वार
हे बहिना अन, धन, संपत्ति से भरल रहेअ भाय केअ भंडार हे।
दै छी भाय केअ खूब

भाय लय करैत रहबै भाईदूज त्योहार
रक्षाबंधन में हाथ में राखी बाँधबै हजार,
हे बहिना स्वस्थ दीर्घायु रहेअ भैया हमार हे
दै छी भाय केअ खूब आशीर्वाद हे ना ।

नीतू रानी, विशिष्ट शिक्षिका, स्वरचित भाय बहिन दिवस पर मैथिली गीत।
स्कूल -म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।

0 Likes
Spread the love

Leave a Reply