आपका ब्राउज़र Text-to-Speech सपोर्ट नहीं करता।
हे बहिना एलखिन पूर्णियाँ जिला
पाठक सरकार हे
स्वागत में शिक्षकगण ठार हे ना।
केलखिन्ह पूर्णियाँ के स्कूल जाँच
नै पकरेलैन एको स्कूल काँच
हे बहिना स्कूल देख खुश भेलखिन्ह पाठक सरकार हे
केलखिन्ह प्यार से सबसे बात हे ना
हे बहिना —————2।
केलखिन्ह जिला सुपौल , अररिया जाँच
नै लागलैन कोनो जिला पर आँच,
हे बहिना सगरे सेअ संतुष्ट भेलखिन्ह पाठक सरकार हे
चैढ़ केअ गेलखिन्ह मोटर कार हे ना।
हे बहिना ———–2।
भेलैन पाठक सर बड़ खुश
मिललैन हुनका शिक्षक ,शिक्षण तंदुरुस्त,
हे बहिना शिक्षकगण केलकैन स्वागत हुनकर ज़ोरदार हे कैर केअ जय जयकार हे ना,
हे बहिना —————2।
नीतू रानी
स्कूल -म०वि०सुरीगाँव
प्रखंड -बायसी
जिला -पूर्णियाँ बिहार।

