पद्यपंकज Uncategorized जनगणना नीतू रानी

जनगणना नीतू रानी



विषय -जनगणना ।
शीर्षक -जनगणना केअ एलै बहार।

जनगणना केअ एलै बहार
बहार मेरी सखिया
शिक्षक केअ मिललै प्रगणक केअ कार्य ——२।

पहिले प्रगणक अपन बाँटल क्षेत्र घुमै ,
तब बनबै नजरी नक्शा कमाल
कमाल मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।

नक्शा में प्रगणक भवन, मकान दर्शाबै ,
नर्शाबै नदी तालाब
तालाब मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।

भवन लिखै लेल, प्रगणक केअ करिया मार्कर पेन मिलल ,
मकान लिखै लेल मिलल मार्कर पेन लाल
लाल मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।

गला में लटकाबै लेल प्रगणक केअ आईकार्ड मिलल,
समझै लेल मिलल किताब
किताब मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।

मुख्यद्वार और घर केअ अंदर प्रगणक भवन मकान नंबर लिखै ,
पुईछ -पुईछ केअ भरै चौंतीसो काॅलम द्वार
द्वार मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।

अंत में प्रगणक संबिट कैर केअ,
दस्तखत कैर करै समाप्त ,
समाप्त मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार
बहार मेरी ———-२।

जबतक जनगणना समाप्त नै हेतै ,
तबतक नै उतरतै प्रगणक केअ सिर केअ भार
भार मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।

धूप में जनगणना प्रगणक भूखल प्यासल करै ,
करैत- करैत परतै बीमार
बीमार मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।

सरकार सब काम खाली शिक्षके सेअ कराबै,
ई नै थीक हुनकर उचित विचार
विचार मेरी सखिया जनगणना केअ एलै बहार।


नीतू रानी, स्वरचित जनगणना गीत।
स्कूल -म०वि० रहमत नगर सदर मुख्यालय पूर्णियाँ बिहार।

0 Likes
Spread the love

Leave a Reply